लिखअ नहि चाहैत छी । लिख - TopicsExpress



          

लिखअ नहि चाहैत छी । लिख देब तअ अपने विकास बाबू शर्मिन्दा भअ जाएब । तें एतबा कहब जे ओ अनशन राजीवजी द्वारा राजनीति में पैसबाक प्लेटफार्म मात्र छल । अनशन तमाम कार्यकर्ताक, चाहे कमें संख्या में हो, प्रयासक बावजूद सफल नहि रहल । २ ० ० १ में मत्रिसदन, हरिद्वार ५ ९ दिनक अनशन अहि जंतर मंतर पर केलक । उत्तराँचल सरकार केर विरुद्ध । हमरा सभक संग श्री चतुरानन मिश्र (सी पी आइ ), श्री देवेन्द्र यादव (राजद) आ श्री के आर मलकानी (भाजपा) पूर्ण ह्रदय सअ छलाह । अनशनक एक दिन बाद भाजपा उत्तराँचल में अप्पन मुख्यमंत्री बदलि देलक जे हमर सभक मांग छल । राजीवजीक अनशन सों की निष्कर्ष निकलल ? किछु नहि । तें हमर स्पष्ट मान्यता अछि जे ई अनशन पूर्ण रूपेण छिपल एजेंडाक संग छल । जे व्यक्ति एखनहि सअ एतेक शातिर चालि चलै छथि ओ भविष्य में मिथिलाक मुद्दा नहि बेचताह एकर गारन्टी के लेत ?
Posted on: Tue, 16 Jul 2013 09:26:01 +0000

Trending Topics



Recently Viewed Topics




© 2015